सहरसा। 17 जुलाई। कैल्हि रविदिन दुपहर बेखौफ अपराधी सभ दिनदहाड़े कोचिंग सँ लौट रहल एक छात्र क' सदर थाना क्षेत्र के पंचवटी चौक लग चाकू मारी गंभीर रूपसँ घायल क' देलनि। जाहिक बाद अस्पताल म' इलाज केर दौरान हुनक मौत भ' गेलनि।
सहरसा के मानस नगर मोहल्लाक निवासी बारहवीं कक्षा के छात्र रोहन सभ दिन कोचिंग क्लास करबाक लेल पंचवटी मुहल्ला जाएत छलखिन। कैल्हि सेहो ओ सभ दिन जोका कोचिंग पढ़बाक लेल पहुंचला जता उक्त अपराधी सभ सरेआम चाकू मारी हुनक हत्या क' देलनि।
पुलिस द्वारा भेटल सुचना केर मुताबिक कोचिंग सँ लौटबाक दौरान पंचवटी मुहल्ला लग छात्र सभक दू गटक बीच विवाद केँ बाद चाकूबाजी केर घटना म' एक छात्रक मौत भेल। मृतक के पहिचान मधेपुरा जिलाक आलमनगर थाना क्षेत्र निवासी रोहन कुमार केर रूप म' काएल गेल अछि। पुलिस तत्काल कर्रवाई करैत मुख्य आरोपी सहित आन आरोपी सभक गिरफ़्तारी लेल छापामारी क' रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।