अमरनाथ यात्रा : तीर्थयात्री सँ भड़ल बस खाई म' गिरला सँ 17 केर मौत, 29 घायल

श्रीनगर। 17 जुलाई। जम्मू एवं कश्मीर के रामबन जिलाक बनिहाल कस्बा म' कैल्हि रविदिन अमरनाथ यात्रा पर जे रहल तीर्थयात्री सँ भड़ल एक बसक खाई म' गिरला सँ 17 तीर्थयात्रिक मौत भ' गेलनि ओतहि 29 गंभीर रूप सँ घायल बताओल जे रहल अछि। 

गंभीर रूप सँ घायल श्रद्धालु सभमे पांच क' इलाजक लेल श्रीनगर ल' जाएल गेल,19 आन क' सेना के हेलीकॉप्टर सँ जम्मू के सरकारी मेडिकल कॉलेज सुपर स्पेशियालिटी हॉस्पिटल पहुँचाओल गेल। दू गोटाक इलाज बनिहालक अस्पताल म' भ' रहल अछि।

मृतक श्रद्धालु सभक सूची एहि प्रकारे अछि :

1. पवन कुमार पुत्र दीनानाथ प्रसाद - बिहार
2. दिलीप कुमार पुत्र दीनानाथ प्रसाद - बिहार
3. रोहित कुमार पुत्र श्याम प्रसाद - बिहार
4. सागर कुमार पुत्र प्रदीप प्रसाद - बिहार
5. राम करण शर्मा पुत्र गगन सहाय - राजस्थान
6. शैलेंद्र सिंह पुत्र बलराम सिंह - राजस्थान
7. रवींद्र सिंह पुत्र रघुबीर सिंह - उत्तर प्रदेश
8. राहुल कुमार पुत्र दिलीप सिहं
9. रवींद्र सिंह पुत्र राजेंद्र सिंह - उत्तर प्रदेश
10. मीना देवी - बिहार
11. सिकंदर पुत्र प्रीतम - उत्तर प्रदेश
12. शीशपाल सैनी पुत्र गणपत राम
13. दर्शन सिहं पुत्र छज्जू राम
14. गोगल चंद पुत्र घनश्याम
15. रचित शर्मा पुत्र एच एल शर्मा - नई दिल्ली
16. चंद्र कुमार
17. 28 वर्षीय अज्ञात व्यक्ति

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ