पटना। 15 जुलाई। सियासी संग्रामक बीच लोक जनशक्ति पार्टी के सांसद चिराग पासवान कहलनि कि यदि हमरा सभके विकसित बिहार चाहि तेँ नीतीश कुमार क' एनडीए म' वापस आएब जेबाक चाहि।
आगा ओ कहलनि कि जाधरि लालू परिवार सत्ता म' रहत ताधरि बिहार विकसित नहि भ' सकैछ। विकसित बिहारक लेल लालू परिवार मुक्त बिहार करे पड़त।
बिहार के उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव पर निशाना साधैत सांसद चिराग पासवान कहलनि कि तेजस्वी यादव क' तुरंत इस्तीफा द' देबाक चाही।तेजस्वी क' इस्तीफा द'क' ख़ुदक' पाक साफ करबाक चाही। आगा ओ कहलनि कि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क' तेजस्वी केँ इस्तीफा ल' लेबाक चाही।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।