जिला पार्षद खुशबू कुमारी केर नेतृत्व म' सड़क मरम्मतक लेल कैल्हि होएत चक्का जाम

मधुबनी। 21 जुलाई। जिला परिषद क्षेत्र संख्या पांच के सदस्या खुशबू कुमारी केर नेतृत्व म' ग्रामीण स्टेट हाइवे 52 सँ पाली गोठ जाय बला अति जर्जर कड़क केर मरम्मतक मांग लेल कैल्हि 22 जुलाई शनिदिन पाली म' एसएच 52 क' अवरुद्ध करि प्रदर्शन काएल जायत। 

एहि संबंध म' जिला पार्षद खुशबू कुमारी कहली कि हुनका द्वारा बारंबार एसएच 52 सँ पाली गोठ दिस जाए बला अति जर्जर सड़क केर मरम्मतक मांग प्रशासनिक आओर ग्रामीण कार्य विभाग कार्य प्रमंडल बेनीपट्टी के अधिकारी सभसँ करबाक बावजूद उक्त सड़क केर स्थिति भयावह बनल अछि। 

अपने क' बता दी पाली गोठ सँ अनुमंडल आओर प्रखंड मुख्यालय अएबाक कुनू दोसर विकल्प एहि सड़क के अलावा नहि अछि। लोग सभ बरसात म' एहि सड़क पर घटना - दुर्घटना केर शिकार बैन रहल छथि। सड़क पर जलजमाव केर कारण आमजन सभ त्रस्त छथि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने