जियो फोन लॉन्च, 153 टाका म' अनलिमिटेड डाटा, कॉल मुफ्त, 24 अगस्त सँ प्री बुकिंग

मुंबई। 21 जुलाई। रिलायंस जियो (Reliance Jio) के सालाना बैठक म' आए मुकेश अंबानी जियो इंफोकॉम के एखन धरिक सभ उपलब्धिक जिक्र करैत हुनका सभके धन्यवाद कहलनि जे जियो के उपभोक्ता छथि। ऐहिक बाद ओ जियो फीचर फोन के ऐलान कएलनि। रिलायंस जियो फोन के इफेक्टिव दाम 0 (शून्य) राखाल गेल अछि। जियो उपभोक्ता क' 1500 टाका के रिफंडेबल सिक्यॉरिटी के संग ई जियो फोन मुफ़्त म' भेटत।  

जियो एहि फोन म' अनलिमिटेड डाटा इस्तेमाल करबाक सुविधा देत। जियो फोन पर 'जियो धन-धना-धन' प्लान 150 टाका म' भेटत। जियो 153 टाका म' जियो फोन ग्राहक सभके अनलिमिटेड डाटा केर सुविधा देत। जियो के ई फोन 22 भाषा क' सपोर्ट करत। जियो फीचर फोन के ऐलानक संगे कंपनी 309 टाका प्रति माह के दाम पर केबल टीवी सेहो  लॉन्च क' देलनि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने