खुशखबरी : बिहार म' 19864 शिक्षकक जल्दे होएत बहाली, शिक्षा मंत्री कएलनि घोषणा

पटना। 22 जुलाई। युवा लोकनिक लेल नीक खबैर अछि। यदि यहाँ शिक्षक बने चाहैत छी आओर योग्यता के शर्त पूरा करैत छी तेँ अहाँक बल्ले - बल्ले होमै बला अछि। बिहार म' 19864 शिक्षकक जल्दे होएत बहाली। शिक्षा मंत्री डॉ अशोक चौधरी ऐहिक घोषणा केलनि। डॉ चौधरी कहलनि​ कि राज्य के उत्क्रमित माध्यमिक विद्यालय सभमे सभ विषय म' शिक्षकक बहाली होएत। ऐहिक लेल पद चिह्नित करि समिति क' लिस्ट भेजल गेल अछि। समिति एहि पर एहि माह फैसला ल' लेत। जाहिक बाद  बहाली के प्रक्रिया शुरू होएत।

अपने क' बता दी शिक्षा मंत्री डॉ अशोक चौधरी कैल्हि शिक्षक आओर  स्नातक क्षेत्र के विधान पार्षद सभक संग बैसार कएलनि। एहि बैसार म' शिक्षक आओर स्कूल सभसँ जुड़ल समस्या पर बहुत देर धरी चर्चा भेल।  कुल 19 बिंदु पर गहरा विचार - विमर्श भेल।  शिक्षा मंत्री एहि पर कार्य योजना राखलनि। बैसार म' शिक्षा विभाग के प्रधान सचिव आरके महाजन समेत तमाम संबंधित अधिकारी मौजूद छला। 

डॉ अशोक चौधरी कहलनि कि 30 सितम्बर सँ पहिने राजकीय एवं प्रोजेक्ट माध्यमिक स्कूल सभमे प्रधानाध्यापक सभक बहाली भ' जाएत। कुनू भी स्थिति म' छात्र सभक पढ़ाई पर शिक्षकक कमी के असर नहि होमे देल जाएत। शिक्षकक बहाली करि सभ समस्या क' दूर क' देल जाएत।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने