आब पटना एयरपोर्ट पर लालू, राबड़ी क' नहि भेटत सीधा एंट्री

पटना। 22 जुलाई। केंद्र सरकार द्वारा राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) अध्यक्ष लालू प्रसाद यादव आओर हुनक पत्नी पूर्व मुख्यमंत्री राबड़ी देवी क' पटना एयरपोर्ट पर सीधा एंट्री पर रोक लगा देना अछि। नागरिक उड्डयन मंत्रालय एक फैसलाक तहत हुनक ई विशेषाधिकार खत्म कएलनि अछि। 

बताओल जे रहल अछि कि ई डेग प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी के राजनीतिज्ञ सभक वीवीआईपी कल्चर क' समाप्त करबाक लक्ष्य केर तहत उठाओल गेल अछि। सरकारक एहि फैसला के बाद आरजेडी के हमलावर होयबाक संभावना बढ़ी गेल अछि जे पहिनेसँ लालू प्रसाद आओर हुनकर परिवार पर सीबीआई छापामारी के कारण केंद्र सँ नाराज चैल रहल अछि।

उल्लेखनीय अछि कि लालू प्रसाद यादव आओर हुनकर परिवार के सभ सदस्य  अलग-अलग आरोप म' घेराओल छथि। पछिला 7 जुलाई दिन  सीबीआई द्वारा जमीन के बदला रेलवे होटल आवंटन घोटाला ल'क' लालू, राबड़ी आओर हुनकर बेटा व बिहार के उप मुख्यमंत्री तेजस्वी यादव सँ जुड़ल 12 स्थान पर छापामारी काएल गेल छल। एहि छापामारी के बादसँ तेजस्वी यादव पर जता इस्तीफा देबाक दबाव बनल अछि, ओतहि मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के भ्रष्टाचार क' बर्दाश्त नहि करबाक रुखक कारण महागठबंधन के सहयोगी जेडीयू आओर आरजेडी म' सेहो तकरार बढ़ल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने