औरंगाबाद के जिलाधिकारीक विवादित बयान, कहलनि पैसा नहि अछि तेँ कनियाँ बेच बना लिआ शौचालय

औरंगाबाद। 24 जुलाई। औरंगाबाद जिलाक जिलाधिकारी कंवल तनुज के  स्वच्छ भारत अभियानक तहत बनाओल जे रहल शौचालय ल'क' एक बहुत हैरान करै बला बयान सामना आएल अछि। जिलाधिकारी कंवल तनुज एक कार्यक्रमक दौरान ग्रामीण सभसँ कहलनि कि यदि अहाँ लग पैसा नहि अछि तेँ अपन कनियाँ क' बेच शौचालय बनवा लिआ।

दरअसल, ग्रामीण सभ हुनका कहलनि कि शौचालय बनेबाक लेल हुनका सभ लग पैसा नहि अछि। एहि ओ कहलनि कि लोग अडवांस पैसा के बात करैत छथि, मुदा इंदिरा आवास के तहत जे पैसा देल गेल, कैको लोग ओहि पैसा सँ अपन बेटिक बिआह कएलनि आओर दोसर चीज म' खर्च कएलनि।  

एहि क्रम म' ओ आगा कहलनि कि यदि अहाँ लग पैसा नहि अछि तेँ अपन कनियाँ  क' बेच शौचालय बनवा लिआ। जिलाधिकारी कहलनि एता के गरीब छथि जे कहता की हुनकर कनियाँ केँ इज्जत 12,000 टाका सँ सस्ता अछि। कियो एहेन नहि हेता जे कहता हमर कनियाँ केँ इज्जत ल' लिआ आओर 12,000 द' दिआ। यदि अहाँ सभक इये मानसिकता अछि तेँ बेच दिआ अपन घरक इज्जत आओर सरकार क' कही दियो जे नहि बना सकैत छी शौचालय।

भ' सकैत अछि कि डीएम केँ इरादा नेक होय मुदा जाहि तरहे ओ गरीब पर ताना कसैत बयान देलनि ओहिक कारण आब हुनकर आलोचना भ' रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ