सहरसा : दर्जनों गाछ रोपीकेँ काएल गेल वन महोत्सव केर शुभारंभ

सहरसा। 22 जुलाई। कैल्हि सहरसा के जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल द्वारा स्टेडियम लग दर्जनों गाछ रोपी वन महोत्सव केर शुभारंभ काएल गेल। एहि मौका पर जिलाधिकारी कहलनि गाछ वृक्ष कम होएबाक कारण सँ पर्यावरण म' असंतुलन बनल रहैत अछि। पूरा देशक 66 प्रतिशत भाग म' वन होएबाक चाही। मुदा, पहाड़ी राज्य सभक अलावा दोसरो राज्य सभमे ऐहिक प्रतिशत बहुत कम अछि। 

आगा ओ कहलनि कि धरती पर गाछ वृक्ष नहि रहत तेँ मौसम म' अनियमितता बनल रहत। कतो बाढ़ि तेँ कतो सुखाड़ केर स्थिति बनल रहत। जिलाधिकारी विनोद सिंह गुंजियाल लोग सभकेँ अपन - अपन खाली जगह पर उपयोगी गाछ लगेबाक लेल जागरूक कएलनि। एहि मौका पर पुलिस अधीक्षक अश्वनी कुमार कहलनि कि लगातार भ' रहल गाछक  कटाई केर कारण सँ कोसीक इलाका बाढ़िक विभीषिका सँ प्रभावित रहैत अछि। हमरा सभके गाछ लगेबाक सार्थक प्रयास करबाक चाही।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने