कांग्रेस, जेडीयू और आरजेडी के लेल विश्वास मत ड्रॉ मैच जोका रहल। तीनो दल अप्पन - अप्पन विधायक सभके बचेबा म' सफल रहल। ओनाकि जेडीयू द्वारा कांग्रेस के किछु विधायक सँ संपर्क म' रहबाक दावा काएल गेल छल। ओतहि आरजेडी जेडीयू विधायक सभके अपना खेमा म' आनबाक बात कहैत छल, मुदा विश्वासमत के परिणाम अएलाक बाद सभ दल राहत के सांस लेलनि।
अपने क' बता दी आरजेडी जवाबी हमला करबाक तैयारी म' अछि। सूत्रक मुताबिक, लालू प्रसाद बिहार सँ बाहर निकली 27 अगस्त के रैली लेल तमाम विपक्षी नेता सभसँ भेंट करता, ओतहि तेजस्वी यादव बिहार के भीतर दौरा करता। पार्टी प्रवक्ता मनोज झा कहलनि कि किछु दिन म' अगिला डेग के रूपरेखा तैयार होएत आओर तेजस्वी यादव बिहार के मतदाता सभक बीच पहुँच अप्पन बात रखता। पार्टी के सामना सभसँ पैघ चुनौती पारंपरिक वोट के अलावा जनाधार बढ़ेबाक अछि। यादव आओर मुस्लिम वोट के सहारे जेडीयू आओर बीजेपी के मुकाबला अकेले आरजेडी नहि क' सकैछ। पार्टी के सामना दलित आओर पिछड़ल सभक वोट म' सेंध लगाएब चुनौती अछि।
बिहार सरकार म' नवा मंत्री सभक नाम आए शनिदिन तय भ' सकैछ। प्राप्त सूचनाक मुताबिक उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी दिल्ली जेता आओर केंद्रीय नेतृत्व सँ बात करि नाम क' अंतिम रूप देता। जेडीयू दिस स' पहिने के सरकार म' रहल मंत्री सभक बरकरार रहबाक संभावना अछि।
एहि बिच बीजेपी सँ गठबंधन के बाद नाराज चैल रहल जेडीयू नेता शरद यादव कैल्हि शुक्रदिन अपन तेवर नरम केलथि, मुदा मानल नहि छथि। सूत्रक मुताबिक़, नीतीश दिस सँ हुनका केंद्र म' मंत्री बनेबाक संकेत देल गेल अछि। एम्हर कांग्रेस आओर लेफ्ट के नेता हुनका अपना दिस आनबा म' भिड़ल अछि। कांग्रेस नेता गुलाम नबी आजाद आओर सीपीएम नेता सीताराम येचुरी एहिबाबत शरद यादव स' भेंट कएलनि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।