मधेपुरा : शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीईटी) म' पकड़ल गेल तीन मुन्नाभाई

मधेपुरा। 24 जुलाई। टीईटी (शिक्षक पात्रता परीक्षा) केर प्रारंभिक परीक्षाक दौरान कैल्हि रविदिन मधेपुरा के पीएस साईंस कॉलेज केंद्र पर तीन फर्जी परीक्षार्थी क' वीक्षक पुलिस केर हवाले कएलनि। 

दरअसल, हिरासत म' लेल गेल परीक्षार्थी कुनू आन परीक्षार्थी के जगह परीक्षा म' शामिल भेल छथि। कड़ा सुरक्षा व्यवस्था केर बावजूद फर्जी परीक्षार्थी परीक्षा कक्ष म' सहूलियत सँ दाखिल भ' गेलथि। एडमिट कार्ड के जांचक क्रम म' तीनो पकड़ल गेल आओर केंद्र अधीक्षक तत्काल तीनों क' पुलिस के हवाले क' देलनि। 

बताओल जे रहल अछि कि पहिल पाली म' गिरफ्तार दू पुरुष परीक्षार्थी म' एक मधुबनी जिलाक लौकही निवासी गुड्डू कुमार आओर एक आन समस्तीपुर जिला निवासी ललित कुमार छथि। दोसर पाली म' उदाकिशुनगंज के पूजा कुमारी क' वास्तविक परीक्षार्थी राज कुमारी के  जगह परीक्षा म' बैसल पकड़ल गेल। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने