सदन के कार्यवाहीक दौरान सेहो इस्तीफाक मुद्दा पर विपक्ष जोरदार हंगामा करबाक तैयारी म' अछि। राज्यक उपमुख्यमंत्री के खिलाफ सीबीआई द्वारा प्राथमिकी दर्ज भेलाक बाद सँ बिहार म' राजनीतिक संकट केर स्थिति बनल अछि। जदयू जता तेजस्वी यादव क' अप्पन ऊपर लागल आरोप के स्पष्टीकरण देबाक मांग क' रहल अछि।
ओतहि, भाजपा चाहैत अछि कि तेजस्वी अप्पन पद सँ इस्तीफा दैथ। ऐहिक संगे राजद साफ क' देना अछि कि तेजस्वी यादव इस्तीफा नहि देत। मुदा भाजपा ऐहिकेँ सदन म' जोर-शोर सँ उठेबबाक तैयारी क' रहल अछि। भाजपा नेता सुशील मोदी कहलनि कि नीतीश कुमार 27 जुलाई सँ पहिने यातें तेजस्वी यादव क' बर्खास्त करें वा ओ खुद इस्तीफा दैथ। यदि ऐना नहि भेल तेँ भारतीय जनता पार्टी सदन नहि चले देत।
एम्हर जदयू सेहो भारतीय जनता पार्टी पर हमला केना अछि। जदयू प्रवक्ता संजय सिंह कहलनि कि भारतीय जनता पार्टी म' सेहो कैको दागी नेता छथि हुनका सभक खिलाफ किएक नहि कार्रवाई भ' रहल अछि। संजय सिंह कहलनि कि सुशील मोदी क' अप्पन पार्टी के बारे म' जानकारी होयबाक चाही। बिहार भाजपा म' 64 फीसदी विधायक अपराधी छथि यानी बीजेपी के कुल 53 विधायक सभमें 34 आपराधिक पृष्ठभूमि बला छथि। जखन ई सभ अपराधिक चरित्र बला विधायक बीजेपी सँ टिकट पाबि रहल छथि, तखन किएक सुशील मोदी कान म' तेल घ' सुतल छथि? सुशील मोदी म' हिम्मत अछि तेँ ओ अप्पन दलक आपराधिक विधायक सभसँ इतिहास माँगैथ।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।