RJD विधायक शंभुनाथ यादव देलनि अंचल अधिकारी (सीओ) केँ जानसँ मारबाक धमकी

पटना। 21 अप्रैल। सत्ताधारी महागठबंधन मे शामिल राष्ट्रीय जनता दल (आरजेडी) के एक विधायक पर ब्रह्मपुर के अंचल अधिकारी (सीओ) केँ जानसे मारबाक धमकी केर आरोप लगाओल गेल अछि। हुनका पर आरोप अछि कि आगि लगबाक घटनाकेँ बाद एक पीड़ित परिवार मुआवजा लेल  विधायक सँ अंचल अधिकारी केँ शिकायत केलनि, जाहिक बाद ओ फोन पर अंचल अधिकारी केँ जानसँ मारबाक धमकी देलनि। अंचल अधिकारी थाना मे ऐहिक लिखित शिकायत केलनि।

पुलिस अधिकारी केँ मुताबिक, बक्सर जिलाकब्रह्मपुर के आरजेडी विधायक शंभुनाथ यादव पर एहि क्षेत्र के अंचल अधिकारी भगवान सिंह जानसँ मारबाक धमकी देबाक आरोप लगौलैन्ह छथि। एहि मामलामे ब्रह्मपुर थाना मे एफआईआर दर्ज कराओल गेल अछि। थाना प्रभारी डी. एन. सिंह कैल्ह गुरुवार दिन कहलनि कि अंचल अधिकारी भगवान सिंह अपनलिखित बयान मे आरोप लगौलैन्ह कि ब्रह्मपुर म' आगि लगबाक घटनाकेँ बाद एक पीड़ित परिवार मुआवजा लेल  विधायक सँ अंचल अधिकारी केँ शिकायत केलनि, जाहिक बाद बुध दिन ओ फोन पर अंचल अधिकारी केँ जानसँ मारबाक धमकी देलनि। 

अंचल अधिकारी भगवान सिंह कहलनि कि पुलिस एहि मामला केँ जांच शुरू क' देलनि अछि। विधायक द्वारा धमकेबाक ई दोसर घटना थीक। एम्हर, आरजेडी विधायक शंभुनाथ यादव कहलनि कि सरकार जनता सभक काजक लेल अधिकारी सभकेँ बैसबैत अछि। अधिकारी सभ अपन मनमाना क' रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि एखन धरी ब्रह्मपुर  ऐगलग्गी पीड़ित परिवार सभके मुआवजा नहि देल गेल अछि। इए बात पुछबा पर अंचल अधिकारी भड़ैक उठला आओर अनाप-शनाप बाजे लागला। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ