हम मैथिल कामाख्या सेवक (ललित कुमार झा)

हम मैथिल मिथिला केर संतान,
अदौ सँ कामाख्या सेवक छी।
घर-घर पूजी गोसाऔनि केँ,
मातृ शक्ति केर पूजक छी।।

हे!माय अहींक शरण गाहल 
अहीं त' हमर उद्धारक छी।
बिगड़ल उपटल संतान सभक 
मात्र अहीं टा,सुधारक छी।।

हे! जग जननी निलाचल वासिनी
अतुल ममता महामाता छी।
खाली हाथ केओ ने लौटए 
सभक पूर्ण मनोरथ दाता छी।।

"ललित" केर आश विश्वास अहीं
जीवनक धार संचालक छी।
हम मैथिल मिथिला केर संतान
अदौ सँ कामाख्या सेवक छी।।

ललित कुमार झा,सिरसी/गुवाहाटी

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने