नई दिल्ली। 21 अप्रैल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 4 दिवसीय दौरा पर राज्य सँ बाहर छथि। नीतीश कैल्ह गुरुवार दिन दिल्ली पहुंचला। ओता ओ कांग्रेस अध्यक्षा सोनिया गांधीसँ हुनका आवास पर भेंट कएला। ओहिक बाद ओ सांझकेँ केरल लेल रवाना भ' गेला। आए 21 अप्रैल क' केरल म' जदयू कार्यकर्ता सभक सम्मेलन अछि जाहिमे नीतीश भाग लेता। फेर ओता से मुंबई लेल रवाना हेता।
ओनातेँ कहल जे रहल अछि कि नीतीश कुमार व्यक्तिगत रुपे सोनिया गांधीसँ भेंट कएलनि। मुदा, इयो कहल जे रहल अछि कि उत्तर प्रदेश चुनाव मे भेटल करारी हार केँ बाद राष्ट्रीय स्तर पर महागठबंधन केर तैयारी चैल रहल अछि, जाहिक सिलसिला मे दुनू के बिच भेंट - मुलाकात भेल अछि। एहीसे पहिने नीतीश कुमार समेत कैको नेता बीजेपी सँ मुकाबला करबाक लेल महागठबंधन केँ वकालत क' चुकल छथि। ऐना म' नीतीश-सोनिया के बीचक भेंट - मुलाकातकेँ एहिसँ जोड़ी देखल जे रहल अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।