राइजिंग स्टारकेँ सरताज बनाए सँ बस एक डेग दूर छथि मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर

मधुबनी। 21 अप्रैल। [मिहिर कुमार झा 'बेला'] राइजिंग स्टार एक वास्तविक टेलीविजन गायन प्रतियोगिता केँ भारतीय संस्करण अछि। कलर्स टीवी चैनल पर प्रसारित रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ में मिथिलाक बेटी 16 वर्षीय मैथिली ठाकुर अपन पहिल शो मे रिकॉर्ड (94% ) मत आनने छली। तहियेसँ मैथिली केर चैम्पियन बनब चर्चाक विषय बनी गेल छल। जगह - जगह पर बिहार आओर मिथिलाक गुणगान करैत लोग सभ थाकैत नहि छलैथ।  

अपने क' बता दी राइजिंग स्टार के फाइनलमे पहुंचबाक टिकट मैथिली केँ  सभसँ पहिने भेटल। आब ओ समय बहुत नजदीक आएब गेल अछि, जखन पहली राइजिंग स्टार चैंपियन बनती मैथिली आओर नाम रौशन होएत मिथिलांचल समेत पूरा बिहारकेँ। राइजिंग स्टार के फाइनल मुकावला 23 अप्रैल के राति 9:00 बजेसँ कलर्स टीवी पर होयत, जाहिमे एक बेर फेरसँ सभकियो हुनका देथिन अपन वोट आओर ओ बनती राइजिंग स्टार चैंपियन ।

अपने जानैत छी राईजिंग स्टार केर फाईनल मुकाबला अगिला रविवार 23 अप्रैल  क' होयत जाहिमे मैथिली पहिने पहुंच गेल छथि। बांकी कैल्ह शनिवार के तीन प्रतियोगी सभक बिच मुकाबला होयत आओर एक प्रतियोगी बाहर भ जेथिन। बांकी बचल दू आओर मैथिली समेत कुल तीन प्रतियोगी सभक बीच रवि दिन राईजिंग स्टार ट्राफी लेलमुकाबला होयत। एहि तीनो प्रतियोगी म' पहिल आओर दोसर बिजेता के बिच पुनः मुकाबला होयत आओर जिनकर वोट केर प्रतिशत बेसी होयत उवे बनत "राईजिंग स्टार" चैम्पियन। 

राईजिंग स्टार केर फाईनल मुकाबला म' हमरा लोकनि क' फेरसँ बेसीसँ बेसी वोट करबाक अछि। अपनेक एक वोट बुच्ची मैथिली क' स्टार सँ सुपरस्टार बना सकैत अछि, ताहिलेल सभकियो फाइनल राउंड मे मैथिली लेल बेसीसँ बेसी वोट करि। सभकियो अपन वोट करैत मैथिलीक राइजिंग स्टार चैंपियन बनबाक गौरवपूर्ण सपना पूरा करबामेँ हुनका मदैद करैत आशीर्वाद दी। 

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ