नई दिल्ली। 21 अप्रैल। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी आए जोर दैत कहलनि कि सुधारक लेल राजनीतिक इच्छाशक्ति केर कमी हुनका मे नहि छैन्ह। मोदी लोकसेवक सभसँ कहलनि कि ओ आपस म' समन्वय बढ़बैत आओर एक संग मिल काज करि बदलाव आनैथ। लोकसेवा दिवस के अवसर पर नौकरशाह सभके संबोधित करैत प्रधानमंत्री मोदी कहलनि कि आब समय आएब गेल अछि कि किछु हटिकें सोचल जाए आओर सरकार एक नियामक केँ जगह सक्षम बनबै बला इकाई केँ तौर पर सामना आबे।
मोदी कहलनि कि राजनीतिक इच्छाशक्ति सुधार आनी सकैछ मुदा अफसरशाही केँ काज आओर जनता केर भागीदारी बदलाव आनत। हमरा सभकेँ ऐहिके एक संग आने पड़त। सुधारक लेल राजनीतिक इच्छाशक्ति जरूरी अछि। हमरा मे ऐहिक कमी नहि अछि बल्कि कने बेसी अछि। आगा ओ कहलनि कि वरिष्ठ अधिकारी सभके एहि बातक आत्मनिरीक्षण करबाक चाहि कि हुनक अनुभव एक बोझ बनैत जे रहल अछि? सरकार केर भूमिका बहुत प्रबल अच्छी मुदा पिछ्ला 15 बरख मे बहुत किछ बदैल चुकल अछि। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी लोकसेवक सभसँ जनता तक पहुंच हुनकर कल्याण के लेल सोशल मीडिया, ई-गवर्नेंस आओर मोबाइल गवर्नेंस केर इस्तेमाल करबाक लेल सेहो कहलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।