प्राथमिक स्वास्थ्य उप केंन्द्र म' लटैक रहल अछि ताला, नहि होयत अछि मरीज सभक इलाज

मधुबनी। 22 अप्रैल। [मिहिर कुमार झा 'बेला'] लदनिया प्रखंड क्षेत्रक कुमरखत पूर्वी पंचायत केँ पथलगाढा स्थित प्राथमिक स्वास्थ्य उप केंद्र म' विगत एक दशकसँ ताला लटैक रहल अछि। स्वास्थ्य उप केंद्र म' नहिये कुनु चिकित्सक आबैत छथि आओर नहिये कुनु मरीजक इलाज होयत अछि। नियमित स्वास्थ्य केंद्र नहि खुजबा सँ ओहि इलाका के लोग सभकेँ  नीम हकीम वा झोला छाप चिकित्सक सभसँ मजबूरन इलाज करबे पड़ैत छैन्ह, जते आर्थिक शोषण के संगे - संग गंभीर स्थिति मे मरीज क' अपन जान तक गमाबे पड़ैत छैन्ह।

स्वास्थ्य केंद्र  केँ आलम ई अछि कि एता चिकित्सक के पद स्थान नहि अछि, मात्र एक नर्स पदस्थापित छैथ जे खाली सरकार द्वारा निर्धारित कार्यक्रम के समय पर नजैर आबैत छथि। स्वास्थ्य केंद्र मे दवा उपलब्ध नहि रहबाक कारण ओ अपन किछ समय गाम घर मे व्यतित करि अपन जिमेवारी केर निर्वाह मात्र करि चल जाएत छथि।

एहिलेल एक दिस जते स्थानीय लोग सभ कैको बेर चिकित्सा पदाधिकारी लग शिकायत केलनि, ओतहि पंचायत केँ मुखिया राहुल कुमार मंडल, पंचायत समिति सदस्य राम कुमार यादव, दिलीप कुमार यादव सेहो पंचायत समिति के बैठक मे एहि समस्या क' उठा चिकित्सक क' पदस्थापित करबाक आग्रह केलनि। मुदा, प्रभारी चिकित्सा पदाधिकारी केर आश्वासन क' एक बरख बीतलाक बादो एखन धरी चिकित्सक केर पदस्थापन नहि भेल अछि। स्थानीय लोग आब आन्दोलन करबाक मोन बना रहल छथि।

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

  1. यह जानकारी बहुत धन्यवाद मैं अपने अगले पोस्ट के लिए इंतज़ार कर रहा हूँ है।..

    जवाब देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।