बनगाँव से मत्स्यगंधा धरी परशुराम जयंती पर निकालल जाएत शोभायात्रा

सहरसा। 19 अप्रैल। कैल्ह मंगल दिन सहरसा जिला के बनगाँव गामक रामनवमी मैदान मे 'परशुुराम विचार मंच' के बैसारक आयोजन संरक्षक राहुल झा केर अध्यक्षता मे संपन्न भेल। बैसार मे उपस्थित सदस्य लोकनि परशुराम जयंती के आयोजनक तैयारी पर चर्चा केलनि। 

बैसार म' निर्णय लेल गेल कि 28 अप्रैल भगवान परशुराम जयंती पर समस्त ब्राह्मण समाज दिससँ भगवान परशुराम केँ शोभा यात्रा निकालल जाएत, जे बनगाँव के बाबा जी कुटी सँ सहरसा के मत्स्यगंधा स्थित बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाई मंदिर धरी जाएत आओर ओता माला अर्पण काएल जाएत। जाहिमे समाजक सभ संठन अपन सहभागिता सँ शोभा यात्रा केँ सफल आओर एतिहासिक बनाओत। 

कैल्ह के बैसार अमित झा केर नेतृत्व आओर राहुल झा केर  संयोजक मे संपन्न भेल जाहिमे अमित झा, पुनीत आनंद, झा रूपेश, बनगाँव के  मुखिया प्रतिनिधि भगवान झा, राहुल कुमार बिल्टु,मिहिर झा, डॉक्टर बोस, चमन झा, आशीष मिश्र, नीतेश मिश्र, रविशकर झा, दीपक चौधरी, सोनू खा, संजय झा, सहित बहुत रास ग्रामीण लोकनि उपस्थित छला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने