सीबीआई पर सवाल उठबैत कटियार कहलनि कि बाबरी विध्वंस मे कुनु साजिश नहि रचल गेल छल। ई पूरा तरहे फुइस अछि, ऐहिक लेल खुद सीबीआई जिम्मेदार अछि। बीजेपी नेता कटियार कहलनि कि सीबीआई केँ कोशिश छल कि सुप्रीम कोर्ट मे अपराधिक आओर साजिश रचबाक केस चले, जाहिमे ओ पूरा तरहे सफल भेल, मुदा ओता कुनु तरहक साजिश नहि रचल गेल छल। कमसे कम हम सभ कुनु साजिशमे शामिल नहि छलहुँ।
आगा ओ कहलनि कि सीबीआई कुन सबूत दाखिल कएलनि, एखन नहि देखलहुँ। कोर्टक जे भी फैसला होएत स्वीकार करब। कटियार कहलनि कि आब अदालत मे ट्रायल चलत। यदि राम जन्मभूमि के मामले मे जेल जाए पड़ल तेँ ख़ुशी - ख़ुशी जेल जेबाक लेल तैयार छी। अयोध्यामे राम मंदिर निर्माणक काज पूरा हुवे, ऐहिक लेल कुनु भी बलिदान देबाक लेल तैयार छी।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।