इंजीनियर अमित रंजन हत्याकांड म' सौरबाजार थाना क्षेत्र निवासी नवीन यादव केर हाथ

सहरसा। 19 अप्रैल। एक कंपनी म' कार्यरत इंजीनियर अमित रंजन हत्याकांड समेत कैको आपराधिक वारदात म' सौरबाजार थाना क्षेत्र निवासी बदमाश नवीन यादव केर नाम सामना आएल अछि। नवीन पर राजद नेता श्यामसुंदर तांती केर हत्या करबाक सेहो आरोप अछि।

पांच दिन पहिने शिर्रही मे रास्ता विवाद ल'के भेल गोलीबारी म' सेहो नविन यादव केर नाम सामना आएल छल। दू दिन बाद एक कंपनी के इंजीनियर अमित रंजनक गर्दैन मे गोली मारी हत्या करबामे सेहो नवीन के नाम सामना आएल अछि। जखनकि बैजनाथपुर के इटहरा गाम  निवासी अरूण यादव केर गोली मारी जख्मी करब, राइस मिल संचालक भवेश कुमार से 50 लाख केर रंगदारी मांगब सभमे नवीन के नाम आएब रहल अछि। 

नवीनक गिरफ्तारी लेल पिछ्ला दू दिन से पुलिस खाक छानी रहल अछि।  एहिलेल कैको थाना मिला एक विशेष टीम केर सेहो गठन कएल गेल अछि। मुदा पुलिस के एखन धरी हुनका गिरफ़्तार करबा मे सफलता नहि भेटल अछि। प्राप्त जानकारी केर मुताबिक नवीन सोमवार केर राति पुलिस क' देखि गोली चलबैत भागबा मे सफल रहला। तीन बेर पुलिस हुनका घेरबाक कोशिश केलनि मुदा ओ भागबा मे सफल रहला। 

प्रभारी एसपी सुबोध कुमार विश्वास कहलनि कि नवीन यादव सुपारी ल'के हत्या व आन घटना केँ अंजाम द' रहल छथि। अमित के हत्या फिलहाल लूटक विरोध करबा पर भेल नजैर आएब रहल अछि। मुदा उक्त बदमाश केर गिरफ्तारी सँ आन खुलासा भ' सकत। आगा ओ कहलनि कि नवीन  एक गिरोह बनेना छैथ जाहिक संचालन कियो दोसर क' रहल छथि। जल्दे सभ बदमाश क' गिरफ्तार काएल जायत।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ