ताजमहल केँ बमसँ उड़ेबाक भेटल धमकी, सुरक्षा व्यवस्था बढाओल गेल

लखनऊ। 17 मार्च। ऐतिहासिक ताजमहल केँ बमसँ उड़ेबाक कथित धमकी के बाद एहि वैश्विक धरोहर केर सुरक्षा आओर कड़ा क' देल गेल अछि। अपर पुलिस महानिदेशक : कानून-व्यवस्था : दलजीत सिंह चौधरी आय कहलनि कि किछु लोग सभ इंटरनेट पर एक लिंक बना ओहिके प्रसारित कएलनि अछि। कहल जे रहल अछि कि ई आईएसआईएस केर  धमकी अछि, मुदा हम ऐहिक विश्वसनीयता केर जांच करा रहल छी।

दलजीत सिंह चौधरी कहलनि कि एहि मामला क' गम्भीरता सँ लैत ताजमहल केर सुरक्षा बढाओल गेल अछि। ताजमहल परिसर आओर ओहिक ईद - गिर्द सघन तलाशी अभियान चलाओल जे रहल अछि। ई  घटना सालाना आयोजित होमै बला ताज महोत्सव केर आयोजन से एक दिन पहिने भेल अछि।

स्थानीय मीडिया सभक अनुसार आईएस के एक हिमायती मीडिया ग्रुप एक छवि प्रकाशित कएलनि अछि, जाहिसँ जाहिर होयत अछि कि ताजमहल एहि आतंकवादी संगठन केर अगिला निशाना भ' सकैत अछि। ई छवि उत्तर प्रदेश केर राजधानी लखनउ मे आईएस सँ प्रेरित आतंकवादी सैफुल्ला के पुलिस व एटीएस केर संग मुठभेड़ मे मारल गेलाक करीब एक सप्ताह बाद जारी कायल गेल अछि।

छवि में ताजमहल पर क्रास केर निशान अछि आओर ओहिपर पर न्यू टारगेट लिखल अछि। संगहि एक वैन बनल अछि जाहिपर अंग्रेजी मे आगरा इस्तिशादी : आगरा शहादत चाहे बला : लिखल अछि। ऐहिक अलावा एक बम केर छवि सेहो बनल अछि, जहिसे ई आत्मघाती बम हमला करबाक धमकी नजैर आएब रहल अछि। सैफुल्ला मुठभेड़ काण्ड व हुनकर कैको संगी सभक गिरफ्तारी के बाद कहल गेल छलकि ओ सभ  इंटरनेट पर उपलब्ध आईएस केर सामग्री पढिके ओहिसे प्रेरित भ' गेल छैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ