
सहरसा। 17 मार्च। शहर के बंगाली बाजार मे रेल ओवरब्रिज निर्माण लेल कोलकाता के सीईटी प्राइवेट लिमिटेड के इंजीनियर सभक टीम सहरसा पहुंच गेल अछि। इंजीनियर सभक टीम सहरसा केर प्रस्तावित रेल ओवरब्रिजक निर्माण लेल पछिला दुई दिन से सर्वे करबाक काज शुरू क' देलनि अछि। सर्वें क' रहल सीईटी प्राइवेट लिमिटेड के कर्मी कहलनि कि एखन एक सप्ताह धरी सर्वे करबाक काज चलत। दिन भरी चली रहल सर्वे केर दौरान शहर के बंगाली बाजार व पूरब बाजार मे कैको दोकानदार सभ सेहो सर्वेयर से पुछ्लैन्ह कि आखिर रेल ओवरब्रिज कहिया धरी बनत?
सर्वे क' रहल सर्वेयर एहि संबंध मे साफ तौर पर कहलनि कि सर्वे रेल ओवरब्रिज निर्माण काज शुरू करबाक लेल भ' रहल अछि। लेकिन ओवर ब्रिज कहिया धरी बनत ई जानकारी रेल अधिकारी द' सकैत छैथ। रेल अधिकारीक सूत्र सँ भेटल जानकारी केर मुताबिक रेलवे ढाला क्रॉसिंग से 800 मीटर पूरब तक सर्वे कराओल जे रहल अछि। क्रॉसिंग के दुनु दिस 800 मीटर आओर उत्तर दक्षिण दिशा मे करीब 200 मीटर तक सर्वे कराओल जायत। जाहिक लेल इंजीनियर व आन तकनीशियन के टीम सहरसा मे कैम्प लगाएब शुरू क' देलन्हि अछि। अपने के बता दी कि शहर में बढ़ैत जाम केर समस्या सँ निदान दियेबाक लेल सहरसा के बंगाली बाजार मे रेल ओवरब्रिज बनेबाक कैको बरख सँ लंबित अछि।
एक टिप्पणी भेजें
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।