मानवता भेल शर्मसार, कूड़ा मे फेलक नवजात केर शव के कुत्ता नोचि - नोचि खेलक

गोपालगंमज। 17 मार्च। गोपालगंज जिला मे एक बेर फेर मानवता शर्मसार भेल अछि। जते मीरगंज के हथुआ मोड़ लग कियो लगभग 3 मासक नवजात केर भ्रूण लावारिस फेंक देलनि जाहिके लावारिस कुत्ता नोचि - नोचि खायत रहल। गोपालगंज के एहि इलाका मे ई कुनु पहिल घटना नहि अछि।

सड़क पर इस वीभत्स दृश्य के देखिके स्थानीय निवासी मुरलीधर कहलनि  कि मीरगंज मे भ्रूण फेकबाक ई कुनु पहिल घटना नहि अछि। एहीसे पाहोनि एहिठाम  3-4 घटना घटि चुकल अछि। मीरगंज बाजार के हथुआ मोड़ पर ओहि समय लोगक नजैर थैम गेल, जखन लगभग 3 मासक नवजात के भ्रूण कचरा के ढ़ेर पर पड़ल भेटल। 

नवजात के भ्रूणक शव जगह जगह क्षत-विक्षत पड़ल छल। ई मार्मिक दृश्य देखि लोग परेशान छल। गौरतलब अछि कि एहिठाम मीरगंज मे कैको अवैध नर्सिंग होम केर संचालन काएल जे रहल अछि। एहेन आशंका अछिकि एहि सभ नर्सिंग होम संचालक सभक द्वारा अवैध तरिका से गर्भपात करा नवजात केर शव फेक देल गेल छल।

स्थानीय लोग सभक सूचना के बाद मीरगंज नगर पंचायत के सफाईकर्मियों  भ्रूण (शव) के दुबारा ओता से उठा दोसर जगह फेक देलनि  मुदा मौक़ा पर मीरगंज पुलिस नहि पहुंचल छल। फेकल गेल भ्रूण के  आवारा कुत्ता सभ अपन निवाला बनेलनि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने