डॉ. राजेंद्र प्रसाद सेंट्रल एग्रीकल्चर यूनिवर्सिटी पूसा सँ स्नातक करबाक बाद शारदा बिहार एग्रीकल्चर यूनिवर्सिटी सबौर सँ मृदा विज्ञान मे स्नातकोत्तर क' रहल छथि। आब यूरोपियन यूनियन इरासमस द्वारा संपोषित प्लांट हेल्थ प्रोजेक्ट के माध्यम केर तहत दुई बरख लेल शारदाकेँ यूनिवर्सिटी ऑफ गोटिगन जर्मनी वा यूनिवर्सिटी ऑफ पड़ोवा इटली भेजल जायत। एहि दुई बरखक अवधि मे पढ़ाई के लेल दुनु यूनिवर्सिटी 49 हजार यूरो शारदाकेँ स्कालरशिप देतैन्ह। संगहि एक-एक मास्टर डिग्री सेहो देतैन्ह। पाठ्यक्रम केर पढ़ाई शुरू करबा सँ पहिने शारदा यूनिवर्सिटी ऑ़फ पॉलिटेक्निशिया डी वेलेंसिया स्पेन जेती। जता हुनका एक सप्ताह ओरिएंटेशन वीक ऑडिट करे परतैन्ह।
शारदा भारती कहली कि हुनकर कृषि क्षेत्र मे बहुत रुचि छैन्ह। नवा रिसर्च के जरिए देश आओर राज्य केर कृषि क' नवा ऊंचाइ पर ल' जायब हुनक मकसद छैन्ह। शारदा सहरसा के वार्ड नंबर 6 अंतगर्त लक्ष्मीनाथ नगर, रिफ्यूजी कॉलोनी निवासी श्रीकृष्ण मोहन झा आओर उषा झा के सुपुत्री छथि। शारदा जवाहर नवोदय विद्यालय सुपौल से 12वीं तक केर पढ़ाई पूरा केना छथि। ओ अपन सफलताक श्रेय अपन माता-पिता आओर अपन नाना से भेटल सहयोग आओर प्रेरणा के दैत छथि।
1 टिप्पणियाँ
ओत्तै सहरसा के नाम डूबा रहल ऐछि सहरसा के कुकर्मी बेटा किसलय कृष्ण
जवाब देंहटाएंमिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।