मैथिली ठाकुर क' आब टॉप-1 मे जगह बनेबाक जरुरत छैन्ह। हमरा लोकनि के आब मैथिली ठाकुर लेल हरेक शनिवार वा रविवार दिन मे सँ कुनु एक दिन जहिया हुनकर परफॉरमेंस होयत वोट करवाक अछि। आब कम वोट केर आधार पर हरेक शनिवार वा रविवार के एक - एक करि प्रतिभागी बाहर होयत। मैथिल दुलारी मैथिली ठाकुर वोट के कारण कही पाछा नहि होईथ। ताहिलेल सभकियो हुनका फाइनल राउंड तक वोट करि।
कैल्ह 18 मार्च शनिवार रात्रिमे 9 बजे सँ कलर्स टीवी पर प्रसारित सिंगिंग रियालटी शो ‘राईजिंग स्टार’ मे मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर कए अप्पन वोट दी ताकि मैथिली बने राइजिंग स्टार चैंपियन आओर मिथिलांचलक नाम चहुओर रौशन हुअ। आब 'राइजिंग स्टार' के मुकाबला टॉप-1 मे जगह बनेबाक लेल होयत, आओर अपनेक एक वोट बुच्ची मैथिली क' स्टार सँ सुपर स्टार बना सकैत अछि। मैथिली ठाकुर के एक बेर फेर अपने सभक आशीर्वादक जरुरत छैन्ह ताहिलेल सभकियो हुनका लेल बेसी सँ बेसी वोट करि।
वोटिंग करबाक तरिका;
Step : 1
गूगल प्ले स्टोर से Colours Tv एंड्राइड एप्प इंस्टाल करि।
Step : 2
इंस्टाल केर प्रकिया पूरा करबाक बाद Rising Star शो के लिंक पर क्लिक करि।
Step : 3
Rising Star शो पर क्लिक करबाक बाद कलर्स एप्प के टर्म्स एंड कंडीशन ऑप्शन पर क्लीक करबाक बाद अपने अप्पन फेसबुक या ट्विटर आईडी से लिंक करि।
Step : 4
ऊपर के तीनो स्टेप पूरा करबाक बाद अपनेक मोबाइल मे इंस्टालेशन प्रकिया पूरा भ' जायत। ऐहिक बाद अपने आसानी से वोट क' सकैत छी।
नोट : वोटिंग जा धरी मैथिली ठाकुर के गीत चलत ताबे धरी कायल जे सकैछ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।