
सहरसा। 21 मार्च। कोसी के इलाका दूषित पेयजल लेल सेहो जानल जायत अछि। एतुका पेयजल मे आयरन केर बेसी मात्राक कारण पेट केर बीमारी सँ लोग परेशान रहैत छथि। ऐना मे वर्षाजल केर संरक्षण आओर ओहिके पेयजल के रूप मे उपयोग करबाक कैको बरख सँ गाम - गाम मे अलख जगा रहल छथि महिषी के राजेन्द्र झा। विनोवा जी केर आदर्श पर चले बला सर्वोदयी विचारधारा सँ जुड़ल रहबाक कारण समाज सेवा मे हुनक प्रवेश भूदान आन्दोलन से भेलनि।
70 के दशक मे जखन क्षेत्रक जनता कोसी दियारा क्षेत्र महिषी आओर दरभंगा के आपराधिक गिरोह सँ परेशान छल तखन हिनक पहल पर ओहि समय 26 कुख्यात कोसी सेवा सदन आश्रम पर तत्कालीन पुलिस अधीक्षक केर समक्ष आत्मसमर्पण केना छल। फेर जानल मानल जल विशेषज्ञ दिनेश मिश्र केर सहयोग सँ लोग सभमे जलनिकासी आओर पर्यावरण केर संबंध मे जागरूकता फसारै केर बीड़ा उठौलन्हि।
ओहिक बाद भू-जल मे आयब रहल गिरावट सँ चिंतित समाज के जल संरक्षण के लेल प्राचीन आओर प्राकृतिक तकनीक केर जानकारी गाम - गाम पहुंच दैत रहला। हिनके प्रयास सँ क्षेत्रक कैको प्राचीन कुआ आओर तालाब सभक जीर्णोद्धार कराओल जे सकल। बाढ़िक समय पेयजल केर होय बाला दिक्कतक लेल जलक संग्रह आओर ओहिके पेयजल के रूप मे उपयोग के लेल क्षेत्र केर बाढिग्रस्त गाम मे राजेन्द्र झा अलख जगाबैत आइब रहल छथि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।