योगी राजक दोसरे दिन आय गाजियाबाद मे 15 क़साईख़ाना बंद कराओल गेल

लखनऊ। 21 मार्च। उत्तर प्रदेश मे योगी आदित्यनाथ के मुख्यमंत्री पदक कार्यभार समहैरते क़साईख़ाना पर कार्रवाई तेज भ' गेल अछि। आय मंगल दिन गाजियाबाद मे अवैध रूप सँ चलाओल जे रहल 15 क़साईख़ाना क' बंद कराओल गेल अछि। ई सभ क़साईख़ाना गाजियाबाद के केला भट्टा इलाका मे चलाओल जे रहल छल। ओता एखनो मौका पर भारी पुलिस बल तैनात अछि। ऐहिक संगे लखीमपुर खीरी मे एक क़साईख़ाना के सील क' देल गेल अछि। बताओल जे रहल अछि कि ई क़साईख़ाना बिना लाइसेंस के चलाओल जे रहल छल। एहिसँ पहिने कैल्ह सोम दिन इलाहाबाद मे सेहो दू गोट क़साईख़ाना बंद कराओल गेल छल। 

अपने के बता दी यूपी विधानसभा चुनाव प्रचार केर दौरान योगी आदित्यनाथ कैको दफा क़साईख़ाना के मुद्दा उठेना छला। प्रचार केर दौरान योगी कहने छला कि यूपी मे बीजेपी केर सरकार बनला पर सभ अवैध क़साईख़ाना बंद कराओल जायत। बीजेपी के राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह सेहो कैको दफा क़साईख़ाना बंद करेबाक बात कहने छला। ऐना में रवि दिन मुख्यमंत्री पदक शपथ लेबाक बाद क़साईख़ाना सभके बंद करेबाक कार्रवाई योगी के एक्शन के हिस्सा मानल जे रहल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने