मुख्यमंत्री नीतीश कुमार के राह पर देश, लोकसभा मे उठल शराबबंदी केर मांग

पटना। 28 मार्च। बिहार मे शराबबंदी केर पहल आओर ओहिक सफल प्रयोग सँ आयल खुशहाली के आब देशक सब लोग सभक समर्थन भेट रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार जे अलख जरौलन्हि अछि ओहिक लौ पूरा देशमे अस्थिर - अस्थिर रौशन होमे लागल अछि। 

लोकसभा मे वाइएसआर कांग्रेस के एक सदस्य पूरा देशमे शराबबंदी लागू करबाक मांग कएलनि आओर जोर देलनि कि ऐहिक कारण अपराध बढ़ी रहल अछि। शून्यकाल केर दौरान वाइएसआर कांग्रेस के गीता एहि मुद्दा के उठबैत कहलनि कि शराबक उपभोग चिंताक विषय बैन गेल अछि आओर ऐहिक कारण गरीब सबसे बेसी प्रभावित भ' रहल छथि। आगा ओ कहलनि कि शराबक उपभोग के कारण अपराध मे सेहो वृद्धि भ' रहल अछि। केंद्र सरकार केँ पूरा देशमे शराबबंदी केर नीति आनबाक चाही।

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हालही मे छत्तीसगढ़ जाके लोग सभके नशामुक्ति केर संकल्प दियौलन्हि। कुर्मी समाज के महाधिवेशन कार्यक्रम मे लोग सभके नशामुक्ति केर संकल्प दियाबैत कहलनि कि बिहार मे शराबबंदी सँ पहिने वातावरण मे बहुत कोलाहल छल, मुदा आब माहौल बदैल रहल अछि। 

नीतीश कुमार शराबबंदीक मामला मे देश भरिमे सुर्खी मे छथि। छत्तीसगढ़ मे नशामुक्ति केर संकल्प दिया प्रदेश मे शराबबंदी आंदोलन केर समर्थन केना छथि। शराबबंदी ल'के पूरा देश आब अस्थिर - अस्थिर नीतीश कुमार के समर्थन मे सुर मिलाबैत नजैर आइब रहल अछि। शराब सँ होमै बला नुकसान क' आब सभ कियो मानी रहल छथि। लोकसभा मे उथल एहि मांग सँ देश मे शराबबंदी केर मांग के बल भेटल अछि। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने