नीतीश कुमार द्वारा आयोजित भोजमे बीजेपी नेता सभक शामिल भेला पर बिहारक राजनीति गरमाएल

पटना। 28 मार्च। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार द्वारा आयोजित भोजमे भाजपा के किछु नेता सभक शामिल भेला पर विपक्षी राजग सँ हुनक मेलजोल बढ़बाक ल'के एक बेर फेर प्रदेशमे राजनीति गरमाएल अछि। नीतीशक एहि भोजमे जते बिहार विधान परिषद मे प्रतिपक्ष के नेता सुशील कुमार मोदी सहित आन भाजपा नेता शामिल भेलथि, ओतहि बिहार विधानसभा मे प्रतिपक्ष के नेता प्रेम कुमार आओर नंदकिशोर यादव के दूर रहला सँ एहि भोजमे शामिल होयबाक ल'के भाजपा केर भीतर दरार सामना आयल अछि। बिहार विधानमंडल के बजटीय सत्र के अंतिम दौर मे पहुँचबाक उपलक्ष्य मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पटना के एक अणेमार्ग स्थित अपन  सरकारी आवास पर दुनु सदन के सदस्य सभक लेल कैल्ह सोम दिन रात्रिभोजक आयोजन केना छलथि। 

एहि अवसर पर उपमुख्यमंत्री तेजस्वी प्रसाद यादव, स्वास्थ्य मंत्री आओर हुनकर बरका भाई तेजप्रताप यादव, हुनकर माँ राबड़ी देवी, कांग्रेस के प्रदेश अध्यक्ष आओर शिक्षा मंत्री सहित सत्ता पक्ष व विपक्ष के आन  विधानमंडल सदस्यगण उपस्थित छलथि। एहि भोजक चर्चा किछु भाजपा सदस्य केर पहुँचबा आओर किछु केर नहि पहुंचबाक कारण भ' रहल अछि। एहि भोजमे शामिल हेबाक ल'के अपन दलील पेश करैत भाजपा के वरिष्ठ नेता सुशील कुमार मोदी कहलनि कि ई दावत कुनु विशिष्ट दल के नहि बल्कि व्यक्तिगत तौर पर मुख्यमंत्री द्वारा विधानमंडल के सभ सदस्य के देल गेल छल। ई व्यक्ति विशेष पर निर्भर करैत अछि कि ओ औता वा नहि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ