
पटना। 28 मार्च। मधुपेरा के सांसद आओर जन अधिकार पार्टी - लोकतांत्रिक केर संरक्षक राजेश रंजन उर्फ पप्पू यादव के कैल्ह सोमदिन हुनक निवास से गिरफ्तार कायल गेल। एहि गिरफ्तारी सँ पहिने हाई ड्रामा देखबाक लेल मिलल। गिरफ्तारी लेल पप्पू यादव के घर कए 500 पुलिसकर्मि द्वारा घेरल गेल आओर हुनका गिरफ्तार करबामे चारि घंटा केर समय लागल। पुलिस सँ प्राप्त जानकारीक मुताबिक़ पप्पू यादव क' 24 जनवरी दिन कारगिल चौक पर भेल 'उपद्रव केर कारण' गिरफ्तार कायल गेल अछि।
कैल्ह सोमदिन भोर एक विरोध प्रदर्शन केर दौरान पटना विधानसभा दिस जायत घरी पप्पू यादव केर समर्थक आओरपुलिस के बीच झड़प भ' गेल छल। ओहि समय विधानसभा के सत्र चलैत छल। एहि हंगामा के बाद सांसद क' गिरफ्तार करबाक फैसला कायल गेल छल। पुलिस आरोप लगौलनि कि जखन पुलिस जन अधिकार पार्टी - लोकतांत्रिक केर कार्यकर्ता सभके असेंबली दिस जाय सँ रोकलानि, ओहि समय यादव अपन कार्यकर्ता सभके हमला करबाक लेल उक्साऊलैन्ह। कैल्ह सांझ 5 बजे के आसपास पुलिस उपाध्यक्ष (DSP) शिबली नोमानी केर नेतृत्व मे 500 पुलिसकर्मी यादव के निवास पर पहुँचलनि। ओम्हर सैकड़ों समर्थक सँ धराओल पप्पू यादव कहलनि कि ओ पुलिस के बिना वॉरन्ट केर हुनका गिरफ्तार नहि करे देथिन। पुलिस हुनकर घरक घेराबंदी करि हुनका गिरफ्तार कएलनि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।