बड़का खुलासा : 'हम' पार्टी के युवा मोर्चाक अध्यक्ष चला रहा छल फर्जी डिग्री देबाक संस्थान

पटना। 01 मार्च। राजधानी पटना मे पुलिस एक फर्जी संस्थान मे छापा मारलन्हि। जते से बहुतो रास वसायिक कोर्स केर फर्जी डिग्री बरामद भेल अछि। लोग सभके रोजगार देबाक नाम पर व्यवसायिक कोर्स मे नामांकन करा लाखो केर ठगीक बड़का खुलासा भेल अछि। एहि  फर्जीवाड़ा गिरोह केर सरगना हिंदुस्तान अवाम मोर्चा (हम) के युवा मोर्चाक अध्यक्ष ज्ञान प्रकाश छैथ। 

पुलिस ई छापा पटना के कोतवाली थाना अंतर्गत हड़ताली मोड़ लग स्थित जाकिर हुसैन संस्थान के कैंपस मे चैल रहल एक फर्जी संस्थाान मे मारलन्हि। जते से भारी मात्रा मे नकली आओर फर्जी सर्टिफिकेट बरामद कायल गेल अछि। 

 
पुलिस क' सूचना भेटल छल कि जाकिर हुसैन परिसर मे एक फर्जी संस्थान चलाओल जे रहल अछि जे छात्र सभके एमबीए व आन व्यवसायिक कोर्स के नाम पर लाखो टाका ल' फर्जी डिग्री द' रहल अछि। पुलिस सूचनाक आधार पर छापामारी केलनि। बताओल जे रहल अछि कि  ई फर्जी संस्थान पिछ्ला चारि बरख से चलाओल जे रहल अछि।

छापामारीक सूचना भेटते हिंदुस्तान अवाम मोर्चा (हम) के युवा मोर्चाक अध्यक्ष ज्ञान प्रकाश फरार भ' गेल छैथ। ओतहि छापामारीक दौरान तीन लाेग के गिरफ्तार कायल गेल अछि। जिनका से पूछताछ कायल जे रहल अछि। जा‍ली सर्टिफिकेट मामला मे युवा मोर्चाक अध्यक्ष केर नाम अएला पर 'हम' पार्टी युवा कमिटि क' भंग क' देलनि अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने