पटना। 01 मार्च। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आय एक मार्च के 65 बरखक भ' गेला। आय भोरे से हुनका जन्मदिनक बधाई देबाक लेल लोग सभक खूब भीड़ देखल गेल। प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो नीतीश कुमार के फोन करि बधाई देलनि। संगहि प्रधानमंत्री ट्वीट करि सेहो हुनका जन्मदिनक शुभकामना देलनि आओर नीक स्वास्थ्य आ नमहर आयुक कामना केलनि। प्रधानमंत्री के संग केंद्र सरकार के बहुतो रास मंत्रि सभ नीतीश कुमार के जन्मदिनक बधाई देलनि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार इंजीनियरिंग के छात्र रही चुकल छला। छात्रे जीवन मे ओ राजनीति मे प्रवेश केना छला। जेपी आंदोलन केर दौरान नीतीश कुमार के राजनीति मे पहचान भेटल छल। हुनक जन्म नालंदा के कल्याण बिगहा मे 1 मार्च 1951 क' भेल छल। नीतीश के पिता वैध छलाह। नीतीश बिहार के पाँचम बेर मुख्यमंत्री बनल छैथ।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।