पूर्णिया। 01 मार्च। पूर्णिया जिलाक धमदाहा क्षेत्र मे कैल्ह देर राति किछ अज्ञात अपराधि सभ एक पान दोकानदारक गोली माईर हत्या क' देलैन्ह। हत्याक बाद तमसायल स्थानीय लोग सभ खूब बवाल मचेलैन्ह। आक्रोशित लोग सभ हत्याक विरोध मे सड़क जाम क' देलैन्ह, जाहिक बाद आवागमन पूरा तरहे बाधित भ' गेल।
ओतहि घटनाक सूचना पर मौका पर पहुँचल पुलिस के सेहो लोग सभक आक्रोशक सामना करे पड़लैन्ह। बीच - बचाव करबाक लेल आयल पुलिस के ओहिठाम से भागे पड़लैन्ह। स्थानीय लोग सभ डीएम आओर एसपी क' मौक़ा पर बजेबाक मांग करैत छल।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।