पटना। 15 मार्च। बिहार मे सत्ताधारी महागठबंधन मे शामिल आरजेडी आओर जेडीयू के बीच जुबानी जंग शुरू भ' गेल अछि। आरजेडी के राष्ट्रीय उपाध्यक्ष रघुवंश प्रसाद सिंह यूपी विधानसभा चुनाव परिणाम ल'के मुख्यमंत्री नीतीश कुमार पर आँगुर उठौलन्हि, जाहिक बाद विवाद शुरू भ' गेल अछि।
रघुवंश प्रसाद आरोप लगौलैन्ह कि नीतीश कुमार द्वारा नोटबंदी केर समर्थन करब आओर यूपी चुनाव केर दौरान एहि विषय पर चुप्पी साधला सँ बीजेपी क' चुनाव मे फायदा पहुँचल अछि। नीतीश कुमार द्वारा यूपी मे एसपी आओर कांग्रेस गठबंधन लेल चुनाव प्रचार नहि करबा से महागठबंधन कमजोर पड़ल अछि। अपने के बता दी आरजेडी प्रमुख लालू प्रसाद यूपी मे गठबंधन केर समर्थन मे चुनाव प्रचार केना छला।
जेडीयू रघुवंश प्रसाद के एहि आरोप पर कड़ा प्रतिक्रिया व्यक्त कएलनि। पार्टी के प्रवक्ता आओर बिहार विधान परिषद सदस्य संजय सिंह, लालू यादव सँ रघुवंश प्रसाद केर खिलाफ कार्रवाई करबाक मांग कएलनि अछि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।