मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) के 5 सदस्यीय राष्ट्रीय टीम केर गठन, बहुत रास वरीय सेनानी के नहि भेटल जगह

दरभंगा। 15 मार्च। मिथिला स्टूडेंट यूनियन (MSU) के 5 सदस्यीय राष्ट्रीय टीम केर गठन लोकतांत्रिक ढंग सँ काएल गेल। नव निर्वाचित टीम मे रौशन मैथिल (राष्ट्रीय अध्यक्ष), सुभाष पासवान (राष्ट्रीय उपाध्यक्ष), अविनाश भारद्वाज (राष्ट्रीय महासचिव), गोपाल चौधरी (राष्ट्रिय कोषाध्यक्ष) आओर नीरज शेखर (बिहार प्रभारी) के रुप मे चयनित भेला। 

हालांकि यूनियन के वरीय सेनानी विद्याभूषण राय, सागर नवदिया, रंधीर झा, अरविंद मिश्रा, विमल मैथिल, बीजे बिकास, निकिता गुप्ता सहित कैको कार्यकर्ता सभके नव निर्वाचित 5 सदस्यीय राष्ट्रीय टीम मे जगह नहि भेटल अछि।  

अपने के बता दी कि ई चुनाव यूनियन के तेसर एक वर्षीय कार्यकाल के लेल भेल अछि। एहिसँ पहिने यूनियन के राष्ट्रीय अध्यक्ष पद पर अनूप मैथिल पहिल बरख के कार्यकाल व कमलेश मिश्रा दोसर बरख के कार्यकाल कए सुशोभित क' चुकल छैथ। उक्त जानकारी यूनियन के पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष अनूप मैथिल दूरभाष पर देला।

लोकतांत्रिक ढंग से चुनल गेल यूनियन के एहि नवा टीम मे कैको नवा आओर अप्रत्याशित चेहरा के सामना अएला आओर कैको चेहरा गुमनाम भेला से कतहुँ नहि कतहुँ आबै बला भविष्य मे यूनियन केर नवा रणनीति देखबाक लेल भेट सकैत अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने