आमक वृक्षकें उदाहरणक रूपमे देखल जा सकैत अछि। मीठगर, सुस्वादिष्ट आमसँ लदल डाढ़ि स्वतः विनम्र बनि झुकि जाईत अछि। जाहिसँ ओहि सुन्दर, सुस्वादिष्ट आमक रसपान सहजतापूर्वक सभ कियो कS सकैथ। ई आमक फलक विनम्रता थिक। परन्तु देखल जाईत अछि जे किछु व्यक्ति ढ़ेला आ झटहासँ आम तोड़बाक लेल व्यग्र रहैत छथि। आम तोड़बाक व्यग्रतामे वृक्षक ढ़ारि-पातकें क्षत्-विक्षत् कय वृक्षक आत्माकें निर्दयतापूर्वक चोटिल करैत छथि।
जाहि वृक्षसँ सुन्दर फल प्राप्त कय जिह्वा आओर स्वयंकें आत्मसंतुष्टि केर आनंद प्राप्त करैत छी, ताहि वृक्षक आत्माकें चोट पहुँचायब कहाँ धरि उचित अछि ? जय श्री हरि।
0 टिप्पणियाँ
मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।