गोदरगावां मे कैल्ह सँ लागत साहित्यकार सभक जमावड़ा

बेगूसराय। 18 मार्च। मटिहानी प्रखंड स्थित विप्लवी पुस्तकालय गोदरगावां मे कैल्ह रविवार से साहित्यकार सभक जमावड़ा लागत। ई  अवसर पुस्तकालय के पांच दिवसीय वार्षिकोत्सव के आयोजनक अछि। पांच दिन धरी चलै बला एहि आयोजन केर आगाज आमसभा सँ होयत। ओनाकि आमसभा सँ पूर्व पुस्तकालय परिसर स्थित शहीद भगत सिंह केर प्रतिमा पर माल्यार्पण के संग जुलूस निकालल जायत। जे आजाद चौक स्थित चंद्रशेखर आजाद केर प्रतिमा स्थल तक जायत। एहिठाम  चंद्रशेखर आजाद केर प्रतिमा पर माल्यार्पण करबाक बाद आमसभा केर  आयोजन कायल जायत। 

आमसभा से शिक्षा बचाओ सम्मेलन केर उदघाटन कायल जेबाक अछि। आमसभा के प्रो.वसी अहमद, जेएनयू केरपूर्व अध्यक्ष कन्हैया कुमार, मशहूर चिकित्सक डॉ. एए हई, डॉ. सत्यजीत, डॉ. एमसी अरूणन, प्रो. मधु प्रसाद, सुर्जीत थॅकचॉम, प्रो. ज्हात्स तरह्यूजा, विपिन सिंह, बृजेश यादव, प्रो. हेतुकर झा सहित आन साहित्यकार सेहो संबोधित करथिन। 

आमसभा के बाद पुस्तकालय परिसर स्थित देवी वैदेही सभागार मे शिक्षा बचाओ सम्मेलन केर शुरुआत होयत। एहि सम्मेलन मे सेहो  देश व विभिन्न राज्य सभक साहित्यकार व विद्वतजन अपन विचार राखथिन्ह। शिक्षा बचाओ सम्मेलन पर आयोजन के दोसर दिन सोमवार के सेहो  दिग्गज सभक भाषण होयत। वार्षिकोत्सव के तेसर, चारिम व पांचम दिन विभिन्न तरह के प्रतियोगिता, सांस्कृतिक कार्यक्रम आदि केर आयोजन होयत। ऐहिक अलावा पांच दिन धरी पुस्तकालय परिसर मे पुस्तक प्रदर्शनी केर आयोजन व पुस्तक बिक्री केंद्र सेहो खोलल जायत। कार्यक्रम  ल'के पूरा क्षेत्र मे प्रचार-प्रसार सेहो कायल गेल अछि। कार्यक्रम लेल पूरा इलाका मे उत्साह के माहौल देखल गेल।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ