मुजफ्फरपुर मे ट्रक - मोटरसाईकिल टक्कर मे बाप - बेटा केर मौत

मुजफ्फरपुर। 18 मार्च। दरभंगा - मुजफ्फरपुर एन एच स्थित गरहां चौक लग अज्ञात ट्रक एक मोटरसाईकिल सवार बाप - बेटा के ठोकर माईर देलनि, जहिसे दुनु गोटाक घटनास्थले पर मौत भ' देलैन्ह। मृतक सभक  पहचान घोचा तुर्की गामनिवासी मो. ताज व राजू केर रुप मे भेल अछि।

प्राप्त जानकारी केर मुताबिक़ दुनु बाप - बेटा मोटरसाईकिल से मुजफ्फरपुरक रास्ते अपन गाम वापस आबैत छला कि रास्ता मे विपरीत दिशा सँ आएब रहल ट्रक ठोकर माईर देलनि जाहिसे घटनास्थले पर दुनु के मौत भ' गेलैन्ह। स्थानीय लोग सभ मृतक केर परिजन सभके फोन करि ऐहिक जानकारी देलनि। सूचना भेटला पर पुलिस दुर्घटनास्थल पर पहुंच छान बिन क' रहल अछि।  

घटना सँ आक्रोशित लोग सभ सड़क जाम क' देलैन्ह। आक्रोशित लोग सभ   मृतक केर परिजन क' मुआवजा देबाक मांग पर अड़ल छल। घटनास्थल पर पहुंचल पुलिस आक्रोशित लोग सभके बुझेबा मे जुटल छल।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने