बिजली के जर्जर तारक चपेट मे अएला सँ एक केर मौत

दरभंगा। 18 मार्च। अलीनगर थाना क्षेत्र के श्यामपुर गाम मे आय शनिवार भोर बिजली के जर्जर अर्थिंग तार टुटिके गिरला सँ गाम निवासी मिन्हाज़ुद्दीन अहमद उर्फ़ शब्बू (43) केर मौत भ' गेलैन्ह। शब्बू क' आनन - फानन मे हुनक परिजन व गामक लोग अलीनगर के निजी अस्पताल मे ल' गेलनि। अस्पताल मे डॉक्टर सभ इलाज केर दौरान हुनका मृत घोषित क' देलनि। 

अपने के बता दी कि मृतक शब्बू 4 भाई मे सबसे पैघ छलाह। शब्बू गामक मदरसा मे शिक्षक छलाह। ओ अपना पाछा दू पुत्र आओर एक पुत्री के छोईड़ गेलाह। हुनकर बड़का पुत्रक नाम आफिफ आलम अछि जखन कि दोसर के नाम तौसीफ अछि। शब्बू के एक पुत्री सेहो अछि जिनकर नाम  दानिया अछि। मासूम दानिया एखन महज लगभग तीन साल के छथि। घटना ल'के श्यामपुर मे सन्नाटा छाओल अछि। शब्बू के जनाजाक नमाज कैल्ह रविवार के श्यामपुर मे होयत। ई जानकारी मृतक के परिजन सभ देलैन्ह।

पूरा मामला मे गामक लोग घटना के कारण बिजली विभागक लापरवाही बतौलन्हि। लोग सभक मुताबिक बिजली के तार बहुत पुरान छल, जाहिके समय सँ नहि बदला गेल। ओतहि एखन धरी एहि मामला मे बिजली विभाग के अधिकारिय सभ अपन चुप्पी नहि तोड़ने छथि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने