एक नजैर 'योगी आदित्यनाथ' उत्तर प्रदेश के नवा मुख्यमंत्री पर

मधुबनी। 20 मार्च। [मिहिर कुमार झा] योगी आदित्यनाथ केर असली नाम अजय सिंह अछि। अजय सिंह केर जन्म 5 जून 1972 के उत्तराखंड के एक छोट सनक गाम मे भेल छलैन्ह। योगी आदित्यनाथ गढ़वाल विश्विद्यालय से गणित मे बीएससी केलैन्ह। ओ गोरखपुर के प्रसिद्ध गोरखनाथ मंदिरक महंत छथि। आदित्यनाथ गोरखनाथ मंदिर के पूर्व महंत अवैद्यनाथ केर उत्तराधिकारी छथि। योगी आदित्यनाथ हिंदू युवा वाहिनी केर संस्थापक सेहो छथि, जे एक हिन्दू युवा सभक सामाजिक, सांस्कृतिक आओर राष्ट्रवादी समूह अछि। योगी आदित्यनाथ 1998 सँ लगातार गोरखपुर क्षेत्रक प्रतिनिधित्व क' रहल छथि। योगी यूपी बीजेपी के बड़का चेहरा मानल जायत छथि। 2014 मे पांचम बेर योगी सांसद बनला।

योगी आदित्यनाथ के राजनीति दौर : हुनकर गुरु अवैद्यनाथ 1998 मे राजनीति सँ संन्यास लेलैन्ह आओर योगी आदित्यनाथ के अपन उत्तराधिकारी घोषित केलैन्ह। एतहि सँ योगी आदित्यनाथ केर राजनीतिक पारी शुरू भेल। 1998 मे गोरखपुर सँ 12हम लोकसभा के चुनाव जीत योगी आदित्यनाथ जखन संसद पहुंचला तेँ ओ सभसँ कम उम्र के सांसद छला, योगी आदित्यनाथ 26 बरखक उम्र मे पहिल बेर सांसद बनला। आगा योगी आदित्यनाथ हिंदू युवा वाहिनी केर गठन केलैन्ह आओर धर्म परिवर्तन के खिलाफ मुहिम शुरू कएलनि

 कट्टर हिंदुत्व केर राह पर चलैत ओ कैको बेर विवादित बयान देलनि। योगी सदिखन विवाद मे बनल रहला, मुदा हुनक ताकत लगातार बढ़ैत रहल। 2007 मे गोरखपुर मे भेल दंगा मे योगी आदित्यनाथ क' मुख्य आरोपी बनाओल गेल, हुनकर गिरफ्तारी भेल आओर हुनका ऊपर कैको अपराधिक मुकदमा सेहो दर्ज कराओल गेल। कैल्ह उवे कट्टर हिन्दूवादी नेता केर छवि बला आदित्यनाथ योगी उत्तर प्रदेश के 21सम मुख्यमंत्री के रूप मे कमान सम्हारलैन्ह।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ