गोसपुर सँ सितुहर जाय बला सड़क केर जर्जर हाल, राहगीर बेहाल

सुपौल। 20 मार्च। [संजीव कुमार मिश्र] स्वतंत्रता सेनानी पंडित फणीन्द्र मिश्र, पंडित त्रिलोक नाथ मिश्र केर गाम सवर्ण के गाम होयबाक खामियाजा भुगैत रहल अछि गोसपुर। एक दिस बिहार सरकार हर गामकेँ  गली - गली  के पक्की सड़क बनेबाक ढिंढोरा पिटैत छैथ तेँ दोसर दिस दशकों से पक्की सड़क सँ जुड़ल गाम जर्जर व बदहाल सड़क सँ जूझि रहल अछि। 

भलहि विकासक एहि दौर मे शहरसँ ल'के गामक गली धरी चकाचक सड़क बैन गेल होय। हर गाम के पक्की सड़कसँ जोड़बाक ढिंढोरा पीटल जाएत होय। मुदा प्रशासनिक उपेक्षा आओर राजनेता सभमे इच्छाशक्ति केर अभावक चलते करजाईन के परमानंदपुर पंचायतक गोसपुर चौक होयत सितुहर तक जाय बला सड़क अपन बदहाली पर कानी रहल अछि।
कैको गामकेँ जोड़ेबला एहि सड़क सँ प्रतिदिन सैकड़ों लोग सफर करते छैथ। दिनभरि वाहन सभक आवाजाही लागल रहैत अछि। तैयो किनको एहि सड़कक सुध लेबाक फुर्सत नहि छैन्ह। गोसपुर से सितुहर जाय बला सड़क मे जगह - जगह बनल खधाइर व उबड़ - खाबड़ सड़क ऐहिक  जर्जरता केर खुद बयां करैत अछि। सड़क जर्जर होयबाक कारण दोपहिया व छोट वाहन चालक सभके बहुत परेशानी केर सामना करे पड़ैत छैन्ह। जर्जर आओर उबड़ - खाबड़ सड़क होयबाक कारण एहि मार्ग पर बेसी काल हादसा होयत रहैत अछि।

एम्हर बरसातक दिनमेँ सड़कक हालत आओर नारकीय भ' जायत अछि। जगह - जगह टूटल सड़क कैको जगह पूरा तरहे थलामय भ' जायत अछि। जिम्हर से निकलब राहगीर सभक लेल मुश्किल भ' जायत अछि। आब हालत एहेन भ' गेल छैक कि भाड़ा बला वाहन सेहो एहि मार्ग से जाय लेल कतराबैत अछि। अभिभावक सभ अपन बच्चा के एहि सड़क से स्कूल भेजै मे डरैत छैथ। पता नहि कखन कुनु हादसा भ'जाए। ऐहिक डर हर दम सभके सताबैत छैन्ह।

एहेन नहि अछि कि एहि क्षेत्रक लोग सभ एहि सड़कक पुनर्निर्माण केर  मांग जोर-शोर सँ नहि उठौलैन्ह। मुदा क्षेत्रक लोग केर आवाज सुननिहार शायद कियो नहि अछि। टखने तेँ एहि क्षेत्रक लोग सभक लेल ई सड़क कोढ़ मे खाज बनल अछि। एहिबाबत क्षेत्र के मुखिया आओर स्थानीय लोग  सभ कैको बेर जिला पदाधिकारी सँ अविलम्ब एहि दिस पहल करबाक  मांग कएलनि। मुदा एखन धरी प्रशासनिक उपेक्षा आओर राजनेता सभमे इच्छाशक्ति केर अभावक चलते सड़क अपन बदहाली पर कानी रहल अछि।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ