योगी सम्हारलैन्ह उत्तर प्रदेश केर कमान

लखनऊ। 20 मार्च। भारतीय जनता पार्टी के उत्तर प्रदेश विधानसभा चुनाव मे बंपर जीतक बाद कट्टर हिन्दूवादी नेता केर छवि बला आदित्यनाथ योगी कैल्ह उत्तर प्रदेश के 21सम मुख्यमंत्री के रूप मे कमान सम्हारलैन्ह। मुख्यमंत्री योगी के संग केशव प्रसाद मौर्य आओर डॉ. दिनेश शर्मा सेहो उप मुख्यमंत्री के शपथ लेलनि। योगी कैबिनेट मे हुनका मिलाके 47 मंत्री अछि।

विधानसभा चुनाव मे भाजपा भलहि कुनु मुसलमान उमीदवार के टिकट नहि देलनि मुदा मंत्रिपरिषद मे मोहसिन रजा के रूप मे एक मुस्लिम चेहरा शामिल कएलनि अछि। रजा के राज्य मंत्री बनाओल गेल अछि।

प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी, भाजपा के राष्ट्रीय अध्यक्ष अमित शाह, केन्द्रीय गृह मंत्री राजनाथ सिंह, कैको केन्द्रीय मंत्री, लालकृष्ण आडवाणी आओर मुरली मनोहर जोशी सहित भाजपा के वरिष्ठ नेता लोकनि संगे भाजपा सहित राजग शासित राज्य सभक मुख्यमंत्री सभक मौजूदगी मे प्रदेश के राज्यपाल राम नाईक 22 कैबिनेट मंत्री, 9 स्वतंत्र प्रभार बला राज्य मंत्री आओर 13 राज्य मंत्री सबके पद एवं गोपनीयता केर शपथ दियौलन्हि।

प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी विश्वास जतौलैन्ह कि नवा टीम उत्तर प्रदेश के उत्तम प्रदेश बनेबा मे कुनु कसर नहि छोड़त। मोदी ट्वीट केलैन्ह कि उत्तर प्रदेश मे विकास के कीर्तिमान बनत। सरकार के एकमात्र मिशन आओर उद्देश्य विकास अछि। जखन उत्तर प्रदेश विकास करत बुझु भारत विकास क' रहल अछि।

प्रधानमंत्री के भ्रष्टाचार समाप्त करबाक संकल्प के आगू बढ़बैत योगी  मुख्यमंत्री के कार्यभार सम्हैरते कैबिनेट सहयोगी सभके निर्देश देलनि कि ओ अपन आय आओर चल एवं अचल संपत्ति केर ब्यौरा 15 दिनक भीतर पार्टी एवं सरकार क' उपलब्ध करबैथ।

एक टिप्पणी भेजें

0 टिप्पणियाँ