युवक'क गला रेत निर्मम हत्या, सड़क पर परल भेटल लाश

कटिहार। 02 फरवरी। शहर के भेरिया रहिका न्यू गौशाला मुहल्ला निवासी  युवक मो. सोनू के गला रेत निर्मम हत्या क' लाश क' घरक कातमे फेक देख गेलैन्ह। कैल्ह राति कुनु सबंधी हुनका घर से बजेना छलैन्ह। 

पारिवारिक सूत्र केर मुताबिक सोनू किनको से पांच हजार कर्ज लेना छलाह, जाहिक लेल हुनका लगतार धमकी देल जायत छलैन्ह। किछ दिन पहिने ओ दिल्ली से वापस आयल छलाह। घटना केर सूचना पर पुलिस पहुच घटनाक छानबीन क' रहल अछि। एखन धरी घटनास्थल लेल  स्थिति स्पष्ट नहि भेल अछि। चर्चाक मुताबिक हत्या कतो आर करि लाश ओहिठाम फेकल गेल अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने