मिथिलाक लाल स्वर्गीय धीरज चन्द्र झा कऽ श्रधांजलि अर्पित करबाक लेल श्रधांजलि सभा केर आयोजन

मुम्बई। 03 फरवरी। एक उदीप्त नक्षत्र, मिथिलाक लाल,  मिथिला - मैथिलीक प्रति समर्पित योद्धा स्वo धीरजजी बीच्चहिमे सभ किछु त्यागि महाअनंतमे विलीन भ गेलथि । पंचभौतिक स्वरूपमे भलेहि ओ दृष्टिगत नञि भS सकताह, परंच जन - गन केर मनमे सदैव हुनक स्मृति, विपुल मैथिल समाजक लेल पथ-प्रदर्शक आओर प्रेरणाक प्रखर मार्गनिर्देशन प्रदान करैत रहताह ।


आगामी 05 फरवरी, 2017 यथा रविदिन नेरूल स्थित "राजेन्द्र भवनमे (बिहार मित्र - मंडल)" 11 बजे दिनमे ओहि महान पुण्यात्मा केर पावन स्मृतिमे श्रद्धांजली - सभा आयोजित कयल गेल अछि ।

मुंबई स्थित समस्त मैथिलसेवी संगठन एवं मैथिलीनुरागी वरिष्ठ समाजसेवी महानुभावसँ निवेदन अछि जे बेशी सँ बेशी संख्यामे रविदिन 11 बजे "राजेन्द्र भवन अवश्य पहुँची एवं अपन प्रिय मिथिलारत्न धीरज बाबू केर प्रति विनम्र श्रद्धापुष्प समर्पित करी ।


"एहि श्रद्धांजली - सभामे "मैथिल समन्वय समिति" केर संरक्षक परमादरणीय डॉ. संदीप झाजी समेत मैथिल समन्वय समिति केर सभ पदाधिकारी समेत सदस्यगण सेहो उपस्थित रहताह । जहिना धीरज बाबूक अंत्येष्ठिक समय विपुल संख्यामे उपस्थिति भेल छल, तहिना ओहूसँ बेशी संख्यामे आयोजित श्रद्धांजली - सभामे उपस्थित होइत "मिथिला -पुत्र" केर अमर आत्माके सद्गति हेतु परम पिता परमेश्वरसँ प्रार्थना निवेदित करी ।"

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने