चर्चित पत्रकार उज्जवल कुमार सिंह केर निधन पर शोक सभा'क आयोजन

खगड़िया। 02 फरवरी। जिला के चर्चित पत्रकार सह महिला कॉलेज के प्रोफेसर व जिला के जानल - मानल गायक उज्जवल कुमार सिंह केर  निधन पर आय गुरुवार दिन पत्रकार प्रभात प्रभाकर सिन्हा केर आवास पर श्रद्धांजलि सभा केर आयोजन कायल गेल छल। जाहिमे जिला के कैको  पत्रकार सभ नम आंखि से हुनका श्रद्धांजलि देलैन्ह। 

मौक़ा पर हुनका याद करैत वयोवृध्द पत्रकार शंभू शरण सिंह कहला कि तीन-तीन क्षेत्र मे महारत हासिल करि अप्पन अलग पहचान बनबै बला आय हमरा सभक बीच नहि रहला। भगवान हुनकर आत्मा के शांति प्रदान करैथ। ओतहि दिनेश कुमार देव कहला कि ओ एक जिंदादिल इंसान छलाह। भगवान हुनकर परिजन सभके शक्ति प्रदान करैथ। पत्रकार सतीश आनंद, प्रभाशंकर सिंह, शशि भूषण प्रसाद, प्रोफेसर एनपी ठाकुर, विनोद कुमार मंटू, कमल भारती, मोहम्मद एजाज अहमद, अरविंद कुमार सिंह समेत जिला के कैको पत्रकार सभ स्वर्गीय श्री सिंह के फोटो पर पुष्प अर्पित कर हुनका श्रद्धांजलि अर्पित केलैन्ह। 

दोसर दिस महिला कॉलेज के प्राचार्य संजीव नंदन शर्मा के अध्यक्षता मे महिला कॉलेज के सभागार मे सेहो शोक सभा केर आयोजन कायल गेल।  जता हुनकर जीवन व हुनकर कार्य कुशलता पर लोग सभ अप्पन - अप्पन  अनुभव राखलैन्ह। मौक़ा पर प्रोफेसर अकील अहमद, डॉक्टर रेणुका, डॉक्टर शोभा रानी, डॉक्टर रोहित कुमार सिंह, प्रोफेसर कमल किशोर सिंह, प्रोफेसर मुकेश कुमार सिन्हा, प्रोफेसर विश्व मोहन कुमार चौधरी, डॉक्टर मीरा सिंह, डॉक्टर दिलीप सिंह उपस्थित छलैथ। 

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने