बिजली विभाग करे सुधार, नहि तेँ होयत अनशन : भाजपा नेता व पूर्व पार्षद प्रवीण आनंद

सहरसा। 15 फरवरी। पूर्व घोषित कार्यक्रम के तहत आय बुधवार दिन  बिजली महाप्रबंधक कार्यालय केर समक्ष बिजली विभाग से पीड़ित उपभोक्ता सभ धरना देलैन्ह। एक दिवसीय धरना मे मौजूद उपभोक्ता सभ आंदोलन करबाक चेतावनी दैत कहलनि कि विभाग अपनामे सुधार आने नहि तेँ जोरदार आंदोलन विभाग केर खिलाफ कायल जायत। 

भाजपा नेता व पूर्व पार्षद प्रवीण आनंद केर नेतृत्व मे ई धरना केर आयोजन भेल छल। मौका पर पूर्व पार्षद श्री आनंद कहला कि जिला भरिमे उपभोक्ता सभके परेशान करबामे विभाग लागल अछि। गलत बिल भेजी उपभोक्ता सभके परेशान कायल जे रहल अछि। बिलमे सुधार करबाक नाम पर मानसिक याताना देल जे रहल अछि। एक आदमी क' दुइ - दुइ बिजली बिल भेजल जे रहल अछि। अगर 28 फरवरी तक गलत विपत्र क' नहि सुधारल गेल तेँ एक मार्च से विभाग के सभ कार्यालय मे तालाबंदी करि अनशन शुरू कायल जायत। विभागीय गलती के खामियाजा आमजन केँ भुगते पैड़ रहल अछि। अगर विभाग सचेत नहि भेल तेँ जन आंदोलन कायल जायत। 

पूर्व प्रमुख शंभूनाथ झा कहला कि विभाग जर्जर तार सभके एखन धरी पूरा तरहे नहि बदलने अछि। आगा ओ बीपीएल धारि सभक बिजली बिल माफ करबाक मांग सेहो केलैन्ह। धरना के अध्यक्षता करैत जिला पार्षद नीतू दास कहली कि नवहट्टा प्रखंडवासि सभक संग विभाग केर सौतेला व्यवहार बर्दाश्त नहि कायल जायत। धरना मे मुर्तुजा खान, पंचगछिया के मो. रहमान, श्रीकांत राय, सीता देवी, मो. उस्मान, रधुवीर सादा, मंटून पासवान, मंजूला देवी, मोती सादा, कल्लू पासवान, विमला देवी, संजू देवी, श्याम कामत, बिनोद यादव, कृष्ण्मोहन पासवान आदि मौजूद छला।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने