भवन विहीन मुरौत मध्य विद्यालय के विद्यार्थी सभक शिक्षा अधर मे

मधेपुरा। 15 फरवरी। भवन विहीन विद्यालय मे विद्यार्थी सभके दोसर विद्यालय मे शिप्ट करि पढाओल जायत अछि। विद्यार्थी सभक संख्या बेसी होयबाक कारण विद्यार्थी सभके जमीन पर बैसा पढाओल जायत अछि। 

प्रखंड मे कैको विद्यालय एहेन अछि जाहिके अप्पन भवन नहि अछि। प्रधान शिक्षिका शबनम कुमारी कहली कि मुरौत मध्य विद्यालय कोसी के कटावक बाद से सोनामुखी मध्य विद्यालय मे शिफ्ट करि चलाओल जे रहल अछि। पहिने 12 बजे से क्लास चलैत छल मुदा अभिभावक सभक  परेशानी क' देखैत विद्यालय क' 9 बजे से चलाओल जे रहल अछि। 

ऐना मे बेसी विद्यार्थी होयबाक कारण से विद्यार्थी सभके जमीन पर बैसे परैत अछि। प्रधान शिक्षिका शबनम कुमारी कहली कि विद्यालय निर्माण लेल ग्रामीण सभ कैको बेर अधिकारि सभके आवेदन द' आग्रह कएलिन्ह। मुदा एखन धरी एहि दिशा मे पहल नहि कायल गेल अछि। 

ग्रामीण मनोज शर्मा, रामलाल सिंह, मुन्ना कुमार, हेमु कुमार कहला कि कोसी कटाव मे बहुत पहिने विद्यालय ध्वस्त भ' गेल छल। लेकिन एतेक समय बितलाक बादो विद्यालय केर भवन निर्माण नहि होयब प्रशासनिक उदासीनता अछि। अपने के बता दी की मुरौत मध्य विद्यालय रतवारा पंचायत मे अछि। ओतहि सोनामुखी मध्य विद्यालय गंगापुर पंचायत मे अवस्थित अछि। दुनुविद्यालय केर दूरी लगभग तीन किलोमीटर अछि।

Post a Comment

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने