संसद मे बिल पेश : बियाह मे 5 लाख से बेसी खर्च करबा पर करे परत गरीबक बेटीक बियाह

नई दिल्ली। 16 फरवरी। अपने यदि बियाह बड़ा धूम धाम से करे चाहैत छी तेँ ई खबैर जरूर पढ़ी। आब महग बियाह पर लगाम कसे संसद मे नव कानून केर प्रस्ताव देल गेल अछि। ई प्रस्ताव संसद द्वारा पारित भेलाक बाद यदि बियाह मे 5 लाख टाका से बेसी खर्च कायल गेल तेँ 10 प्रतिशत केर जुर्माना लगाओल जायत।

एहि नवा (कंम्पल्सरी रजिस्ट्रेशन एंड प्रिवेंशन ऑफ वेस्टफुल एक्सपेंडीचर) बिल 2016 के लोकसभा मे कांग्रेस सांसद रंजीत रंजन पेश केलन्हि अछि। रंजीत रंजन सांसद पप्पू यादव केर पत्नी छथि। एहि  प्रस्ताव क' प्राइवेट मेंबर बिल के तौर पर सदन मे लाओल गेल अछि आर  लोकसभा के अगला सत्र मे एहि बिल पर चर्चा के बाद फैसला कायल जायत। 
बियाह मे खर्च पर लगाम लगेबाक लेल लाओल गेल एहि बिल के अनुसार यदि कुनु परिवार 5 लाख टाका से बेसी बियाह मे खर्च करैत अछि तेँ ओहि खर्चा के 10 प्रतिशत रकम के बराबरक योगदान देश मे गरीब बेटी सभक बियाह लेल करे परतैन्ह।

संसद में ई बिल पेश करैत सांसद रंजीत रंजन कहली कि देश मे गरीब परिवार सभक ऊपर दबाव बढ़ैत अछि जखन कियो महग बियाह करैत छैथ। एहि तरहक लोग सभके समाज कल्याण आ गरीब परिवार सभक मदद करबाक लेल एहेन जुर्माना वहन करबाक चाही। सांसद रंजीत रंजन कहली कि बियाह दुइ लोगक बिच के पवित्र बंधन अछि, मुदा बदकिस्मती से बियाह मे दिखावा केर ट्रेंड बढ़ी गेल अछि। 

लोकसभा मे पेश एहि बिल मे प्रावधान कायल गेल अछि कि देश मे होमै बला हरेक बियाह के आब बियाह के 60 दिनक भीतर रजिस्टर करायब अनिवार्य होयत।

एक टिप्पणी भेजें

1 टिप्पणियाँ

  1. Ager yi lagu bh jayet t bahut neek kanoon bnt. Garib ke pas taka nai achhi t beti ke vivah ke lel bahut dikkat hoit achhi. Dahej atek badhi gel achhi je ab garik beti ke vivah bhenayi bahut mushkil bh gel achhi.

    जवाब देंहटाएं

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।