UPSC के परीक्षा मे मिथिलाक लाल देशभरी मे पहिल स्थान प्राप्त केलैन्ह

सहरसा। 09 फरवरी। संघ लोक सेवा आयोग द्वारा असिस्टेंट कमांडेंट के पद हेतु संचालित केन्द्रीय पुलिस बल 2016 केर परीक्षा मे सहरसा के सागर कुमार झा देशभरी मे पहिल रैंक के संग अंतिम रूपसँ चयनित भ' मिथिलाक संगे - संग बिहारक नाम रौशन केलैन्ह। 

सागरक ई सफलता मिथिला व बिहारक छात्र सभक लेल एक प्रेरणादायी खबैर अछि। 26 फरवरी 1994 के जन्मल सागर झा अप्पन पाहिले प्रयास मे पहिल रैंक प्राप्त केलैन्ह। तीन भाई बहन मे सबसे से छोटी सागर केर एहि सफलता से घर-परिवार व आस पड़ोसक लोगक भीच ख़ुशी केर माहौल अछि। सागर के पिता मिहिर कुमार झा झारखंड के रांची मे ब्लॉक कोऑपरेटिव ऑफिसर छैथ जखन की माता सविता झा गृहणी छथि।

सागर के दादाजी चंद्रमोहन झा सहरसा जिलाक कहरा ब्लाॅक के चैनपुर गामक 35 बरख धरी मुखिया रही चुकल छलाह। अप्पन पोता के सफलता से सागर के दादाजी बहुत प्रसन्न छैथ। सागर के बड़का भाई सूरज कुमार झा सेहो बीआईटी मेसरा सँ इंजीनियरिंग केर पढ़ाई पूरा करबाक बाद वर्तमान मे संघ लोक सेवा आयोग केर परीक्षाक तैयारी मे जुटल छैथ।  

बचपने से कुशाग्र बुद्धि के धनी सागर अप्पन प्रारंभिक विद्यालयी पढ़ाई कटिहार के स्काॅटिश पब्लिक स्कूल से पूरा केना छैथ। सागर के दसवीं केर  पढ़ाई धनबाद के कोयला नगर स्थित डीएवी पब्लिक स्कूल मे भेलैन्ह। आगा ओ रांची के डीपीएस पब्लिक स्कूल से बारहवीं केलाक बाद कठिन मानल जाय बला आईआईटी केर परीक्षा मे सेहो नीक प्रदर्शन करैत  वाराणसी के प्रसिद्ध संस्थान आईआईटी बीएचयू के कंम्प्यूटर साइंस मे अप्पन स्थान पक्का केलैन्ह। सागर झा आईआईटी बीएचयू से इंजीनियरिंग के पढाई पूरा करबाक बाद आठ मास सैमसंग कंपनी के आर एण्ड डी सेक्शन मे काज करबाक बाद संघ लोक सेवा आयोग केर परीक्षा खातिर नौकरी छोड़बाक फैसला केलैन्ह।

सागर झा कहला कि हम्मर सफलताक श्रेय हम्मर मेहनत, हम्मर दादा - दादी, हम्मर माता - पिता, भाई, बहिन व जीजाजी के साथे साथ भगवान क' सेहो जायत अछि।

1 टिप्पणियाँ

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

एक टिप्पणी भेजें

मिथिला दैनिक (पहिने मैथिल आर मिथिला) टीमकेँ अपन रचनात्मक सुझाव आ टीका-टिप्पणीसँ अवगत कराऊ, पाठक लोकनि एहि जालवृत्तकेँ मैथिलीक सभसँ लोकप्रिय आ सर्वग्राह्य जालवृत्तक स्थान पर बैसेने अछि। अहाँ अपन सुझाव संगहि एहि जालवृत्त पर प्रकाशित करबाक लेल अपन रचना ई-पत्र द्वारा mithiladainik@gmail.com पर सेहो पठा सकैत छी।

और नया पुराने